Type Here to Get Search Results !

पिया मोर बालक




स्वर:- देवी


 (पिया मोर बालक हम तरूणी गे।

कोन तप चुकलों भेलों जननी गे।)2


।पिया मोर बालक।


पहिरी लेलों सखी दाछनाक चिरे।

(पहिरी लेलों सखी)2।दाछनाक चिरे।


।पिया के देखैते मोरे दग्ध शरीरे।


पिया मोर बालक हम तरूणी गे।

कोन तप चुकलों भेलों जननी गे।


।पिया मोर बालक।


।पिया लेले गोद के चल्ली बजारे।


(पिया लेले गोद के )2।चल्ली बजारे।

हटिया के लोग पूछे के लागो तोहार गे।


पिया मोर बालक हम तरूणी गे।

कोन तप चुकलों भेलों जननी गे।


।पिया मोर बालक।


केनाही मोर देवरा की नाही छोट भाई।)2

नाही मोर देवरा...।


केनाही मोर देवरा की नाही छोट भाई

पुरूब लीखल छले बलमु हमर ए


पिया मोर बालक हम तरूणी गे।

कोन तप चुकलों भेलों जननी गे।


।पिया मोर बालक।


बाटर बटोहिया आ की तूहू मोर भाई।


।बाटर बटोहिया ।


बाटर बटोहिया आ की तूहू मोर भाई।


हमरो समाद नहियर लेने जाई।


पिया मोर बालक हम तरूणी गे।

कोन तप चुकलों भेलों जननी गे।


।पिया मोर बालक।


कहियुन बाबा के किनाई ढेन गाई।


।कहियुन बाबा के।


कहियुन बाबा के किनाई ढेन गाई।

दुधवा पियाई के पोस्ता जामाई


पिया मोर बालक हम तरूणी गे।

कोन तप चुकलों भेलों जननी गे।


।पिया मोर बालक।

(नहीं मोर ताका आछी नहीं ढेनु गाई।)2


नहीं मोर ताका आछी नहीं ढेनु गाई।

कोन बिधी पोसब बालक जामाईं


पिया मोर बालक हम तरूणी गे।

कोन तप चुकलों भेलों जननी गे।


।पिया मोर बालक।


(धना ही विद्यापति सुनू ब्रजनारी।)2

धैरज धरहू भेटत मुरारी।


पिया मोर बालक हम तरूणी गे।

(कोन तप चुकलों भेलों जननी गे।)2


(।पिया मोर बालक।)3


Maithili Geet: Piya Mor Baalak
SINGER: DEVI
Album: SADABAHAR VIDYAPATI KE GEET
Music Director: SAROJ SUMAN
Lyricist: TRADITIONAL
Music Label:T-Series

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ
* Please Don't Spam Here. All the Comments are Reviewed by Admin.

Top Post Ad

Below Post Ad

Ads Area